- "जादे जोगी, मठ उजाड़"
- "जेकरे अरबर, तेकरे खरबर"
- "जुमै मियाँ के माँड़ नै, खोजै मियाँ ताड़ी"
- "जे भोज नञि करे, से दाइल बड्ड पीबए"
- "जेकर माय मरल तेक्कर पत्ता पर भाते नञि"
- "जाइतो गमेलौ, स्वादो नञि पयलहुँ"
- "जीर पीस पियब नञि,सैंय बगैर जियब नञि"
- "जतेक बहु नञि ओतेक'के लहठी"
- "जखने कहलनि कक्का यौ, तखने बुझलहुँ खुरपी हरायल"
- "जुना जड़ि गेल, ऐंठन नञि गेल"
- "जाबे छलहूं कुमारि ताबे धम्मर धम्मर मारि, आब भेल बियाह आबके सहत मारि"
- "जेबय नेपाल कपार जेतय संगे"
- "जक्कर बनरी सैह नचाबै"
- "जकर उक नञि तकर फुक बड भारी"
- "जेहने तकलह हौ कुटुम, ओहने भेटलह हौ कुटुम"
- "जुरय लाय नै, खाय बतासा"
- "जतऽ सुई नञि समाय, ततऽ फाड़ घुसियाय...