- "ओझा लेखे गांव बताह, गांव लेखे ओझा बताह"
- "अन्हार घर सांपैह साँप"
- "अन्हेर गायके राम रखबार"
- "अनकर धन पाबी त अस्सी मोन उनटाबी"
- "अन्हरा'के जगने की, धधरा'के तपने की"
- "असकर रनियां तए गिरथनियां"
- "अप्पन भूख त चूल्हा फूँक, सएँ के भूख त' माथा दुःख "
- "अपना लए लल्ल, गोइठा बिछ' चल्ल"
- "ओल सनहक बोल"
- "अनका दूसगे लबड़ी, अपने काँचे बड़ी"
- "अघायल बकके पोठी तीत"
- "अपन वियाह भेल, जय कमला"
- "अहाँ कही हम"फू खेलाइ"छी, हमरा "गरदनि ढोल लगैये"
- "ओझा गेल गाम सँ भूत भेल नटुआ"
- "अरती पर परती, मेघडमबर पर छाया, बाप रहथिनह पेट में त पुत गेलखिन्ह गाया"
- "अबिते एलों, चुल्हि बिलमेलों, अरिपन पोछि क' लिट्टी लगेलौं।"
- "आन्हर कुकुर ,माड़े तिरपित"
- "अनकर डाबा अनकर घी , हमरा अहाँके लगइ यए की"
- "आदि नहि घी अंत नहि दही , ताहि भोजन के गीड़ब कही"
- "अनेर-धुनेर के राम रखवार"
- "अन्हरा गांवमेँ कन्हा राजा"
- "अक्कामे चक्का बड़ेरीमे धक्का, आगाँ सँ पक्का पाछाँ चौफक्का"
- "अपने मुहेँ, मिया मिठ्ठू"
- "अनकर चाऊर दाइल अप्पन पेट"
- "अनकर चूल्हा किनकर घी, पारें बाप के लागल की।"
- "ओझा के खुरे बताह"
- "अरबा खैब त अबेर किया करब...हौ हौ फुर्ती करू"
- "अपन गेल अपनौती मे आ किदन करऽ गेल पितयौती मे"
- "आयल पानि, गेल पानि, बीचे बिलायल पानि"
- "ओस चाटी प्यास बुझायब"
- "अलखोसरी केँ दूटा फ़ोंसरी भेल, एकटा फुटि गेल, एकटा टहकैया !"
- "अप्पन केथरी चेपरी सीबैत, अपने मर्जी जीयत,.आकाशे जँ फाटि जाइ तँ , के दर्जी सीयत।"
- "अपन मुँह टेढ़ ,बगुला मुँह छेड़"
- "अपने छी खाट पर, टाँग दुनु टाट पर"
- "आखिं रहएत , आन्हर"
- अरती पर परती, मेघडमबर पर छाया, बाप रहथिनह पेट में त पुत गेलखिन्ह गया
- "अनकर धान पाबि त अस्सी मन तौलाबी"
- "अहि नगरी के इएह व्यवहार , खोलू धरिया उतरु पार"
- "अपने खाय लेल, गोइठा बिछय छल"
- "आईंठो खेलहुँ, पेटो नहि भरल"
- "अपन थीक नञि, आनक नीक नञि"
UJJWAL JHA
Posted on : October 18, 2020सराहनीय प्रयास
Shivam
Posted on : August 14, 2019Bahute neek kaaj
Ajay
Posted on : September 23, 2018बहुत निक काज
basant kumar
Posted on : August 28, 2018jai ho
rishi bihari
Posted on : May 15, 2017नब का फकरा दियव छोट बला oK
Dr. Kailash Kumar Mishra
Posted on : December 07, 2016बहुत सुन्नर काज। भविष्य में अहाँ एहि कार्य लेल बेर बेर स्मृत हैब। <br />
ह्रदय सँ साधुवाद। इ शोध के कार्य थिक आ गंभीर कार्य थिक।
Ganesh maithil
Posted on : September 22, 2016बड्ड नीक काज केलौं
Basuki Nath Singh
Posted on : January 22, 2016Nice & thanks to you for creating this site.