View project
Read more
- ओझा लेखे गांव बताह, गांव लेखे ओझा बताह
- अन्हार घर सांपैह साँप
- अन्हेर गायके राम रखबार
1. यएह गुड़ खेनए, कान छेदनए
- हम चराबी दिल्ली, हमरा चराबै घर'क बिल्ली
- खेत खाए गदहा, मारि खाए जोलहा
- खस्सीके जान जाय, खेबैयाके स्वादे नञि!
- पाकल परोड़ के झनझन बीया
- पैसा नञि कौड़ी, उतान हो गे छौड़ी
- भुसकौल विद्यार्थी'क गत्ता मोट
- सड़लो भुन्ना, रोहू के दुन्ना
- सब सखी झुमैर खेलए, लूल्ही कहैय हमहूँ
- सात बापूत रा के, एक्को नञि काजके
- सोन त कान नञि ,कान त सोन नञि
- सभ धन बाइस पसेरी
- नानी'के धन , पानी'के धन आ बेईमानी'के धन...ई तीनो नञि रहछि.
- केकर खेती, केकर गए, कोन पापी रोमय जाए !
- कोइढ़ उलटलाह, त' भएर घर छेड़लनि।
- "कनहा बियाहमे सातगो आफद"
- "कानल कनियाँ रहिये गेल,आ कानी छँटौल बर घुरिये गेल "
- धी, जमैया, भगिना, ई तिनो नञि अपना
- घर पकैए कुरथी रोटी, बाहर सुखाय यए जोड धोती !
- चलए नहि आबए त अंगना टेढ़ ।
- चोरीके धन मोरीमेँ।
- बारी'क पटुआ तीत
- बहे बड़द, हकमय कुक्कुर।
- बाजल मुँह, बरजल नै जाय।
- बुड़बक बेटा टक्के काबिल
- केहन-केहन गेला त' मोछ बला एला।
- जेहने तकलह हौ कुटुम, ओहने भेटलह हौ कुटुम
- जत' सुई नै समाय, तत' फाड़ घुसियाय
- जुमै मियाँके माँड़ नञि, खोजए मियाँ ताड़ी ।
- जाइतओ गमेलौ, स्वादो नञि पयलहुँ
- जेबय नेपाल कपार जेतय संगे
- मारिक ड'रें भूत पड़ाइ छै
- मारी माँछ नञि उपछी खत्ता
- मैया मरिहें धीया लै, धीया मरिहें बियहुआ लै!
- मुन्ले मुँह सतुआ फँकनाइ
- मायक जी गाय सन, पुतक जी कसाई सन
- एकदिन सऽखे जोतलन्हि ह'र, हगलनि,पदलनि लगलन्हि ज'र
- एक गाछ राहड़ि सभसँ बाहरि